मत्ती 4

4
यीशुक परीक्षा
(मरकुस 1:12-13; लूका 4:1-13)
1तकरबाद पवित्र आत्‍मा यीशु केँ निर्जन क्षेत्र मे लऽ गेलथिन जाहि सँ शैतान द्वारा हुनका सँ पाप करयबाक कोशिश कयल जानि। 2ओहिठाम चालिस दिन आ चालिस राति उपास कयलाक बाद यीशु भुखायल छलाह। 3जाँचऽ वला शैतान हुनका लग अयलनि आ कहलकनि, “जँ तोँ परमेश्‍वरक पुत्र छह तँ एहि पाथर सभ केँ रोटी बनि जयबाक आज्ञा दहक।” 4यीशु उत्तर देलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, ‘मनुष्‍य मात्र रोटी सँ नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक मुँह सँ निकलल प्रत्‍येक वचन सँ जीवित रहत।’#4:4 व्‍यव 8:3
5तखन शैतान यीशु केँ पवित्र नगर#4:5 अर्थात्‌, यरूशलेम मे लऽ गेलनि और मन्‍दिरक सभ सँ ऊँ‍च स्‍थान पर ठाढ़ कऽ कऽ कहलकनि, 6“जँ तोँ परमेश्‍वरक पुत्र छह तँ एतऽ सँ नीचाँ कुदि जाह। कारण, धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे,
‘परमेश्‍वर तोरा लेल स्‍वर्गदूत सभ केँ आज्ञा देथिन
और ओ सभ अपना कोरा मे तोरा लोकि लेथुन,
जाहि सँ पयर मे पाथर सँ चोट नहि लगतह।’#4:6 भजन 91:11, 12
7यीशु ओकरा कहलथिन, “इहो लिखल अछि जे, ‘अपन प्रभु-परमेश्‍वरक जाँच नहि करहुन।’#4:7 व्‍यव 6:16
8तखन शैतान हुनका बहुत ऊँच पहाड़ पर लऽ गेलनि और ओतऽ सँ संसारक सभ राज्‍य आ ओकर वैभव देखबैत 9हुनका कहलकनि, “जँ तोँ हमरा सामने निहुरबह आ हमर उपासना करबह तँ हम ई सभ तोरा दऽ देबह।” 10यीशु ओकरा कहलथिन, “हे शैतान, हमरा सोझाँ सँ दूर हो! कारण, धर्मशास्‍त्र मे ई लिखल अछि जे,
‘अपना प्रभु-परमेश्‍वरक उपासना करहुन,
और मात्र हुनके सेवा करहुन।’#4:10 व्‍यव 6:13
11तकरबाद शैतान यीशु लग सँ चल गेल, और स्‍वर्गदूत सभ आबि कऽ हुनकर सेवा करऽ लगलथिन।
कफरनहूम मे यीशुक काजक आरम्‍भ
(मरकुस 1:14-15; लूका 4:14-15, 31)
12जखन यीशु सुनलनि जे बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना जहल मे बन्‍दी बना लेल गेल छथि तखन ओ गलील प्रदेश मे घूमि कऽ चल अयलाह। 13ओ नासरत नगर केँ छोड़ि कऽ कफरनहूम नगर मे रहऽ लगलाह। ई नगर जबूलून आ नप्‍ताली कुलक भूमि-क्षेत्र मे झीलक कछेर पर अछि। 14एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाहक ई वचन पूरा भेल जे,
15“हे जबूलून आ नप्‍ताली कुलक भूमि-क्षेत्र!
समुद्र दिस जाय वला रस्‍ता मे पड़ऽ वला यरदन नदीक ओहि पारक क्षेत्र,
गैर-यहूदी जाति सभक गलील प्रदेश!
16जे सभ अन्‍हार मे बसल छल,
से सभ पैघ प्रकाश केँ देखलक अछि।
जकरा सभ केँ मृत्‍युक अन्‍हार झँपने छलैक,
तकरा सभ पर इजोत चमकल अछि।”#4:16 यशा 9:1, 2
17ओही समय सँ यीशु प्रचार करऽ लगलाह जे, “अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू, कारण, स्‍वर्गक राज्‍य लग मे आबि गेल अछि।”
यीशुक सभ सँ पहिलुका शिष्‍य सभ
(मरकुस 1:16-20; लूका 5:1-11)
18जखन यीशु गलील झीलक कछेर पर टहलैत छलाह तखन ओ दू भाइ केँ झील मे माछ पकड़बाक लेल जाल फेकैत देखलनि। ओ सभ मछबार छल। एकटाक नाम सिमोन, जकर दोसर नाम पत्रुस छलैक आ ओकर भायक नाम अन्‍द्रेयास छल। 19यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “हमरा पाछाँ आउ। हम अहाँ सभ केँ मनुष्‍य केँ पकड़ऽ वला मछबार बना देब।” 20ओ सभ तुरत अपन जाल छोड़ि कऽ हुनका संग भऽ गेलनि।
21ओतऽ सँ कनेक आगाँ बढ़लाक बाद यीशु अन्‍य दू भाय केँ देखलनि—याकूब आ यूहन्‍ना। ओ सभ जबदी नामक व्‍यक्‍तिक बेटा छल आ अपना बाबूक संग नाव मे जाल सरिअबैत छल। यीशु ओकरा सभ केँ अपना संग अयबाक लेल कहलथिन। 22ओहो सभ तुरत नाव आ अपन बाबू केँ छोड़ि कऽ यीशुक संग भऽ गेलनि।
23यीशु सम्‍पूर्ण गलील प्रदेश मे घूमि-घूमि कऽ यहूदी सभक सभाघर सभ मे शिक्षा देबऽ लगलाह, परमेश्‍वरक राज्‍यक शुभ समाचार सुनाबऽ लगलाह, आ लोक सभ केँ सभ तरहक बिमारी सँ छुटकारा देबऽ लगलाह। 24एहि तरहेँ हुनकर यश सम्‍पूर्ण सीरिया प्रदेश मे पसरि गेलनि। लोक बिमार सभ केँ जे विभिन्‍न प्रकारक रोग वा कष्‍ट सँ पीड़ित छल, वा जकरा सभ मे दुष्‍टात्‍मा छलैक, मिर्गी सँ पीड़ित छल वा लकवा मारल छल—सभ केँ यीशु लग अनैत छल, और यीशु ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ दैत छलथिन। 25गलील प्रदेश, “दस नगर” क्षेत्र,#4:25 यूनानी मे “दिकापुलिस”, जकर शाब्‍दिक अर्थ अछि “दस नगर”। ई यरदन नदीक दूनू कात मे पड़ऽ वला एक क्षेत्र छल, जाहि मे दसटा नगरक एक संघ छल। यरूशलेम नगर, यहूदिया प्रदेश और यरदन नदीक ओहि पारक क्षेत्र सँ लोकक विशाल भीड़ हुनका पाछाँ चलऽ लगलनि।

தற்சமயம் தேர்ந்தெடுக்கப்பட்டது:

मत्ती 4: mai

சிறப்புக்கூறு

பகிர்

நகல்

None

உங்கள் எல்லா சாதனங்களிலும் உங்கள் சிறப்பம்சங்கள் சேமிக்கப்பட வேண்டுமா? பதிவு செய்யவும் அல்லது உள்நுழையவும்

உங்கள் அனுபவத்தைத் தனிப்பட்டதாக்க யூவெர்ஸன் குக்கீகளைப் பயன்படுத்துகிறது. எங்கள் வலைத்தளத்தைப் பயன்படுத்துவதன் மூலம், எங்கள் தனியுரிமைக் கொள்கையில் விவரிக்கப்பட்டுள்ளபடி குக்கீகளைப் பயன்படுத்துவதை நீங்கள் ஏற்கிறீர்கள்