YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 8

8
चारि हजार लोकक लेल भोजनक व्‍यवस्‍था
(मत्ती 15:32-39)
1ओहि काल मे फेर यीशु लग बहुत लोक सभ जमा भेल। ओकरा सभ केँ खयबाक लेल किछु नहि छलैक। तेँ यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ बजा कऽ कहलथिन जे, 2“एहि लोक सभ पर हमरा दया अबैत अछि, किएक तँ ई सभ तीन दिन सँ हमरा संग अछि आ संग मे खयबाक लेल किछु नहि छैक। 3हम एकरा सभ केँ भूखल विदा कऽ देबैक तँ रस्‍ता मे ई सभ मुर्छित भऽ जायत किएक तँ एहि मे सँ किछु लोक बहुत दूरो सँ आयल अछि।”
4शिष्‍य सभ यीशु केँ कहलथिन, “एहन निर्जन क्षेत्र मे एतेक लोकक भोजन कतऽ सँ भेटत?” 5यीशु हुनका सभ सँ पुछलथिन जे, “अहाँ सभ लग कयटा रोटी अछि?” शिष्‍य सभ उत्तर देलथिन जे, “सातटा।”
6यीशु लोक सभ केँ जमीन पर बैसबाक लेल आदेश देलनि, और ओ सातो रोटी लऽ कऽ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देलथिन। रोटी सभ केँ तोड़ि-तोड़ि कऽ लोक सभ मे बाँटऽ लेल शिष्‍य सभ केँ देलथिन और ओ सभ रोटी बाँटि देलनि। 7किछु छोटका माछो रहैक। यीशु माछोक लेल धन्‍यवाद दऽ कऽ लोक सभ मे बाँटि देबऽ लेल शिष्‍य सभ केँ देलथिन। 8सभ केओ भरि पेट भोजन कयलक। भोजनक बाद शिष्‍य सभ उबरल टुकड़ा सभ सात टोकरी मे भरि कऽ जमा कयलनि। 9ओहि मे भोजन करऽ वलाक संख्‍या करीब चारि हजार लोक छल। 10ओकरा सभ केँ विदा कऽ कऽ यीशु तुरत शिष्‍य सभक संग नाव मे चढ़ि दलमनूथा क्षेत्र चल गेलाह।
चमत्‍कारक माँग
(मत्ती 12:38-42; 16:1-12)
11हुनका सभ केँ पहुँचला पर फरिसी सभ आबि कऽ यीशु सँ वाद-विवाद करऽ लगलाह, आ हुनका जाँच करबाक लेल स्‍वर्ग सँ एकटा चमत्‍कार वला चिन्‍ह मँगलथिन। 12यीशु भीतर सँ कुहरि कऽ कहलनि जे, “एहि पीढ़ीक लोक एकटा चिन्‍ह किएक मँगैत अछि! हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे एकरा सभ केँ कोनो चिन्‍ह नहि देखाओल जयतैक!” 13हुनका सभ केँ छोड़ि कऽ यीशु फेर नाव मे चढ़ि कऽ झीलक ओहि पार चल गेलाह।
14शिष्‍य सभ रोटी अननाइ बिसरि गेल छलाह; एकेटा रोटी नाव पर संग मे छलनि। 15यीशु हुनका सभ केँ चेतबैत कहलथिन, “फरिसी सभक और हेरोदक रोटी फुलाबऽ वला खमीर सँ सावधान रहू!” 16ओ सभ आपस मे विचार करैत बजलाह जे, “अपना सभ रोटी आनब बिसरि गेलहुँ, एही कारणेँ ओ ई बात कहि रहल छथि।”
17यीशु बुझि गेलथिन जे ओ सभ एना एक-दोसर सँ बात-चीत करैत छथि और हुनका सभ सँ पुछलथिन जे, “अहाँ सभ आपस मे एहि पर बात किएक कऽ रहल छी जे अपना सभ लग रोटी नहि अछि? की एखनो तक नहि देखैत छी? एखनो तक नहि बुझैत छी? बुद्धि मन्‍द भऽ गेल अछि की? 18की आँखि रहितो नहि देखैत छी, आ कान रहितो नहि सुनैत छी? की मोन नहि अछि?— 19जखन ओ पाँचटा रोटी हम पाँच हजार लोकक लेल तोड़लहुँ तँ उबरल रोटीक टुकड़ीक कतेक छिट्टा भेल?” ओ सभ जबाब देलथिन जे, “बारहटा।” 20“और जखन ओहि सातटा रोटी सँ हम चारि हजार आदमी केँ खुऔलहुँ तँ रोटीक टुकड़ी कतेक ढाकी बिछलहुँ?” ओ सभ उत्तर देलथिन जे, “सातटा।” 21तखन ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “की एखनो तक नहि बुझैत छी?”
आन्‍हर केँ सुझऽ लागल
22ओ सभ बेतसैदा नगर अयलाह। लोक सभ यीशु लग एकटा आन्‍हर आदमी केँ आनि कऽ हुनका सँ विनती कयलकनि जे, एकरा छुबि दिऔक। 23यीशु ओहि आन्‍हर आदमी केँ हाथ पकड़ि कऽ नगर सँ बाहर लऽ गेलथिन। ओकरा आँखि पर थूक लगा देलथिन, और ओकरा पर हाथ राखि कऽ पुछलथिन जे, “की, किछु देखि रहल छह?” 24ओ आँखि उठा कऽ जबाब देलकनि जे, “हँ! मनुष्‍य सभ केँ देखैत छी—गाछ जकाँ लगैत छैक लेकिन चलि रहल अछि।” 25तखन यीशु ओकरा आँखि पर फेर हाथ रखलथिन। ओकरा आँखि मे तुरत पूरा इजोत आबि गेलैक और ओ सभ किछु साफ-साफ देखऽ लागल। 26यीशु ओकरा अपन घर पठा देलथिन और ई आदेश देलथिन जे, “शहर मे नहि जाह।”
यीशुक प्रश्‍न—“हम के छी?”
(मत्ती 16:13-20; लूका 9:18-21)
27यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ कैसरिया-फिलिप्‍पीक लग-पासक गाम सभ मे गेलाह। चलिते-चलिते यीशु हुनका सभ सँ पुछलनि जे, “हम के छी, ताहि सम्‍बन्‍ध मे लोक की कहि रहल अछि?” 28ओ सभ हुनका जबाब देलथिन जे, “केओ-केओ कहैत अछि जे अहाँ बपतिस्‍मा देनिहार यूहन्‍ना छी। केओ कहैत अछि जे एलियाह छी, और किछु लोक कहैत अछि जे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभ मे सँ एक छी।”
29तखन यीशु हुनका सभ केँ पुछलनि जे, “और अहाँ सभ? अहाँ सभ की कहैत छी जे हम के छी?” पत्रुस उत्तर देलथिन जे, “अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह छी।” 30यीशु हुनका सभ केँ दृढ़तापूर्बक आदेश देलथिन जे हमरा बारे मे ई बात ककरो नहि कहिऔक।
अपन मृत्‍यु आ जिआओल जयबाक बारे मे यीशुक भविष्‍यवाणी
(मत्ती 16:21-23; लूका 9:22)
31तखन यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ सिखाबऽ लगलथिन जे, “मनुष्‍य-पुत्र केँ बहुत दुःख भोगऽ पड़तैक। ई आवश्‍यक अछि जे बूढ़-प्रतिष्‍ठित, मुख्‍यपुरोहित और धर्मशिक्षक सभ द्वारा तुच्‍छ ठहराओल जाय, जान सँ मारल जाय, आ तीन दिनक बाद ओ फेर जीबि उठय।” 32ई बात एकदम स्‍पष्‍ट कहलथिन। एहि पर पत्रुस हुनका कात मे लऽ जा कऽ डाँटऽ लगलनि। 33मुदा यीशु शिष्‍य सभक दिस घूमि कऽ पत्रुस केँ डाँटि कऽ कहलथिन, “है शैतान! तोँ हमरा सोझाँ सँ दूर होअह! तोँ परमेश्‍वरक विचार नहि, बल्‍कि मनुष्‍यक विचार मोन मे रखैत छह।”
आत्‍माक बदला मे की दऽ सकब?
(मत्ती 16:24-28; लूका 9:23-27)
34तखन यीशु लोक सभ केँ और शिष्‍य सभ केँ अपना लग बजौलनि और कहलथिन, “जँ केओ हमर शिष्‍य बनऽ चाहैत अछि तँ ओ अपना केँ त्‍यागि, हमरा कारणेँ दुःख उठयबाक आ प्राणो देबाक लेल तैयार रहओ, और#8:34 अक्षरशः “अपना केँ त्‍यागि अपन क्रूस उठाबओ और” हमरा पाछाँ चलओ। 35कारण, जे केओ अपन जीवन बचाबऽ चाहैत अछि से ओकरा गमाओत। मुदा जे केओ हमरा लेल और शुभ समाचारक लेल अपन जीवन गमबैत अछि से ओकरा बचाओत। 36जँ कोनो मनुष्‍य सम्‍पूर्ण संसार केँ पाबि लय और अपन आत्‍मा गमा लय तँ ओहि सँ ओकरा की लाभ भेलैक? 37अथवा मनुष्‍य अपन आत्‍माक बदला मे की दऽ सकत? 38जँ केओ एहि पापी और विश्‍वासघाती युग मे हमरा और हमर शिक्षा सँ लजाइत अछि तँ ओकरो सँ मनुष्‍य-पुत्र लजायत जखन पिताक महिमा मे स्‍वर्गदूत सभक संग आओत।”

Currently Selected:

मरकुस 8: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in