YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 1

1
यूहन्‍ना द्वारा यीशुक अयबाक लेल तैयारी
(मत्ती 3:1-12; लूका 3:1-18; यूहन्‍ना 1:19-28)
1परमेश्‍वरक पुत्र यीशु मसीहक शुभ समाचार एहि तरहेँ शुरू होइत अछि— 2परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाह द्वारा लिखल पुस्‍तक मे भविष्‍यवाणी कयल गेल अछि जे,
“देखू, अहाँ सँ पहिने हम अपन दूत पठायब,
जे अहाँक आगाँ-आगाँ अहाँक बाट तैयार करत।”#1:2 मला 3:1
3“निर्जन क्षेत्र मे केओ जोर सँ आवाज दऽ रहल अछि जे,
‘प्रभुक लेल मार्ग तैयार करू,
हुनका लेल सोझ बाट बनाउ।’ ”#1:3 यशा 40:3
4तहिना यूहन्‍ना नामक दूत निर्जन क्षेत्र मे अयलाह और लोक केँ बपतिस्‍मा दैत प्रचार करऽ लगलाह जे, “पापक क्षमा पयबाक लेल पश्‍चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन करू और बपतिस्‍मा लिअ।” 5यहूदिया प्रदेशक और यरूशलेम शहरक सभ लोक बाहर निकलि कऽ हुनका लग गेल और अपन पाप स्‍वीकार करैत यरदन नदी मे हुनका सँ बपतिस्‍मा लेलक। 6यूहन्‍ना ऊँटक रोंइयाँ सँ बनल वस्‍त्र पहिरने रहैत छलाह और अपना डाँड़ मे चमड़ाक पट्टी बन्‍हने रहैत छलाह। भोजन मे फनिगा आ वन वला मधु खाइत छलाह। 7ओ एहि तरहेँ प्रचार करैत छलाह, “हमरा बाद मे एक गोटे आबि रहल छथि जे हमरा सँ शक्‍तिशाली छथि। हम झुकि कऽ हुनकर जुत्तो खोलऽ जोगरक नहि छी। 8हम तँ अहाँ सभ केँ पानि सँ बपतिस्‍मा दैत छी लेकिन ओ अहाँ सभ केँ पवित्र आत्‍मा सँ बपतिस्‍मा देताह।”
यीशुक बपतिस्‍मा
(मत्ती 3:13-17; लूका 3:21-22)
9ओहि समय मे यीशु गलील प्रदेशक नासरत नगर सँ अयलाह और यूहन्‍ना सँ यरदन नदी मे बपतिस्‍मा लेलनि। 10पानि सँ बाहर होइत काल यीशु आकाश केँ फटैत और परबाक रूप मे पवित्र आत्‍मा केँ अपना पर उतरैत देखलनि। 11स्‍वर्ग सँ आवाज आयल जे, “अहाँ हमर प्रिय पुत्र छी। अहाँ सँ हम बहुत प्रसन्‍न छी।”
यीशुक परीक्षा
(मत्ती 4:1-11; लूका 4:1-13)
12तखन पवित्र आत्‍मा तुरत यीशु केँ निर्जन क्षेत्र मे पठौलथिन 13जतऽ चालिस दिन धरि शैतान हुनका सँ पाप करयबाक कोशिश कयलकनि। ओ जंगली जानबर सभक बीच मे रहैत छलाह और स्‍वर्गदूत सभ हुनकर सेवा करैत छलनि।
14बाद मे, यूहन्‍ना केँ जहल मे राखि देल गेलाक बाद, यीशु गलील प्रदेश गेलाह और परमेश्‍वरक शुभ समाचारक प्रचार कयलनि जे, 15“समय आबि गेल अछि, परमेश्‍वरक राज्‍य लग मे अछि! अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू आ शुभ समाचार पर विश्‍वास करू।”
यीशुक सभ सँ पहिलुका शिष्‍य सभ
(मत्ती 4:12, 18-22; लूका 5:1-11)
16एक दिन यीशु गलील झीलक कात चलैत काल मे सिमोन और हुनकर भाय अन्‍द्रेयास केँ झील मे जाल फेकैत देखलनि। ओ सभ मछबार छलाह। 17यीशु हुनका सभ केँ बजौलथिन और कहलथिन, “यौ! हमरा पाछाँ आउ। हम अहाँ सभ केँ मनुष्‍य केँ पकड़ऽ वला मछबार बना देब।” 18ओ सभ अपन जाल छोड़ि कऽ हुनका पाछाँ लागि गेलनि।
19किछु आगू बढ़लाक बाद यीशु याकूब और यूहन्‍ना दूनू भाय केँ अपन बाबू जबदीक संग नाव मे जाल तैयार करैत देखलथिन। 20ओ तुरत हुनका सभ केँ बजौलथिन, और ओ सभ अपन बाबू जबदी केँ जऽन-बोनिहारक संग नाव मे छोड़ि हुनका संग भऽ गेलनि।
सभाघर मे दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी
(लूका 4:31-37)
21ओ सभ कफरनहूम नगर गेलाह। विश्रामक दिन मे यीशु सभाघर मे जा कऽ उपदेश देबऽ लगलाह। 22हुनकर शिक्षा सुनि लोक सभ चकित भेल किएक तँ ओ धर्मशिक्षक सभ जकाँ नहि, बल्‍कि अधिकारपूर्बक शिक्षा दैत छलाह। 23एकाएक सभाघर मे एकटा दुष्‍टात्‍मा#1:23 मूल मे “अशुद्ध आत्‍मा”। तहिना पद 26 और 27 मे सेहो। लागल आदमी हल्‍ला करऽ लागल जे, 24“यौ नासरतक निवासी यीशु! अहाँ केँ हमरा सभ सँ कोन काज? हमरा सभ केँ नष्‍ट करऽ अयलहुँ की? हम अहाँ केँ चिन्‍हैत छी। अहाँ परमेश्‍वरक पवित्र दूत छी।” 25यीशु दुष्‍टात्‍मा केँ डाँटि कऽ कहलथिन, “चुप रह! तोँ एकरा मे सँ निकल!” 26दुष्‍टात्‍मा ओहि आदमी केँ झकझोड़ैत आ जोर सँ चिचियाइत ओकरा मे सँ निकलि गेल। 27ई देखि सभ आदमी ततेक आश्‍चर्य-चकित भेल जे एक-दोसर केँ कहऽ लागल जे, “ई की बात? ई कोन प्रकारक नव उपदेश अछि? ई आदमी तँ अधिकारपूर्बक दुष्‍टात्‍मा सभ केँ सेहो आज्ञा दैत छथि और ओ सभ हिनकर बात मानैत छनि!” 28एहि सभ सँ यीशुक चर्चा बहुत जल्‍दी सम्‍पूर्ण गलील प्रदेश मे चारू कात पसरि गेलनि।
बहुतो रोगी स्‍वस्‍थ कयल गेल
(मत्ती 8:14-17; लूका 4:38-41)
29यीशु सभाघर सँ बाहर भऽ कऽ तुरत सिमोन और अन्‍द्रेयासक घर गेलाह। हुनका संग यूहन्‍ना और याकूब सेहो छलाह। 30सिमोनक सासु बोखार सँ पीड़ित ओछायन पर पड़ल छलीह। लोक सभ हुनका विषय मे यीशु केँ कहलकनि। 31यीशु हुनका लग जा आ हुनकर हाथ पकड़ि कऽ उठौलथिन। हुनकर बोखार तुरत उतरि गेलनि और ओ हिनका सभक सेवा-सत्‍कार मे लागि गेलीह।
32ओही दिनक साँझ मे सूर्यास्‍‍तक बाद लोक सभ रोगी और दुष्‍टात्‍मा लागल आदमी सभ केँ हुनका लग अनलकनि। 33ओहि नगरक सभ लोक घरक सामने जमा भऽ गेल। 34यीशु अनेक प्रकारक बिमारी सँ पीड़ित बहुत लोक सभ केँ नीक कयलनि, और बहुत लोक मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ सेहो निकाललनि। मुदा ओ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ बाजऽ नहि देलथिन किएक तँ यीशु के छथि से ओकरा सभ केँ बुझल छलैक।
एकान्‍त स्‍थान मे यीशुक प्रार्थना
(लूका 4:42-44)
35दोसर दिन यीशु अन्‍हरोखे उठि बाहर गेलाह और एकान्‍त स्‍थान मे जा कऽ प्रार्थना करऽ लगलाह। 36सिमोन और हुनकर संगी सभ हुनका ताकऽ लेल गेलनि। 37भेँट भेला पर हुनका कहलथिन, “सभ केओ अहाँ केँ खोजि रहल अछि।” 38तखन ओ उत्तर देलथिन जे, “अपना सभ कोनो दोसर ठाम चलू। लग-पासक आरो गाम-बजार सभ मे सेहो हम परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनायब, किएक तँ हम एही लेल आयल छी।” 39तेँ ओ पूरा गलील प्रदेश मे घुमलाह और ओकरा सभक सभाघर सभ मे जा कऽ उपदेश देलनि, और लोक सभ मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ केँ निकाललथिन।
कुष्‍ठ-रोगी स्‍वस्‍थ कयल गेल
(मत्ती 8:1-4; लूका 5:12-16)
40एक बेर एकटा कुष्‍ठ-रोगी हुनका लग आबि ठेहुनिया रोपि कऽ हुनका सँ निवेदन कयलकनि जे, “अपने जँ चाही तँ हमरा शुद्ध कऽ सकैत छी।” 41यीशु केँ ओकरा पर दया आबि गेलनि और ओ अपन हाथ बढ़ा कऽ ओकरा छुबि कऽ कहलथिन, “हम अवश्‍य चाहैत छिअह! तोँ शुद्ध भऽ जाह।” 42तुरत्ते ओकर कुष्‍ठ-रोग ठीक भऽ गेलैक और ओ शुद्ध भऽ गेल। 43यीशु ओकरा ई कड़ा आदेश दऽ कऽ विदा कयलथिन जे, 44“ई बात ककरो नहि कहिअहक। पुरोहित लग जा कऽ अपना केँ देखाबह। शुद्ध होयबाक विषय मे मूसाक लिखल नियमक अनुसार, जे बलिदान चढ़यबाक अछि से चढ़ाबह। एहि तरहेँ सभक लेल गवाही रहत जे तोँ शुद्ध भऽ गेल छह।” 45मुदा ओ एहि घटनाक विषय मे सभ केँ जा कऽ कहि देलकैक, जकर फल ई भेल जे यीशु आब खुलि कऽ कोनो नगर मे नहि जा सकैत छलाह। ओ शहर सँ बाहर एकान्‍त मे रहऽ लगलाह मुदा तैयो लोक सभ चारू दिस सँ हुनका लग अबैत-जाइत छलनि।

Currently Selected:

मरकुस 1: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in