मती 10
10
बारह परेरितसबके करल कामसब
(मरकुस ३:१३-१९, ६:७-१३, लुका ६:१२-१६, ९:२-६)
1तब येसु आपन बारहो चेलासबके बोलाइल्कै आ ओइसबके भुत आत्मासब निकालैके आ सब किसिमके रोगी-बिमारीसबके निक करैके अधिकार देल्कै।
2उ बारहो परेरितसब एह्या चियै- पहिन्का सिमोन, जकर नाम पतरुसो चियै आ ओकर भाइ अन्दरियास, जब्दियाके बेटा याकुब आ ओकर भाइ युहन्ना, 3फिलिप आ बारथोलोमाइ, थोमा आ बटी उठाइबला मती, अल्फयासके बेटा याकुब आ थेदियस, 4“देस भक्त” सिमोन कनानी आ यहुदा इस्करियोती, जे येसुके धोखा देने रहै।
5तब येसु आपन बारहो चेलासबके एहेन कैहके पठाइल्कै, “तुसब गैर-यहुदीसबके बिचमे आ सामरीसबके सहरमे नै जो। 6बरु इजराएलके लोकसब लग जो, जे हेरयाल भेंरासब जखाछै। 7‘स्वरगके राज नजदिक आइबगेल छै’ से परचार करैत जो। 8रोगी-बिमारीसबके निक कर, मरलहासबके जिबित कर, कोढि-कुस्टीसबके सुध कर, भुत आत्मासबके निकाल। जहिनङे तुसब मङनिएमे पाबलिही तहिनङे मङनिएमे दहै। 9तुसब आपन बटुवामे सोना, चानी या तामके पैसो-कौरी नै बोक। 10रस्ताके लेल नै झोरा, नै फेरैबला जमा-जोरा, नै जुता आ नै लाठी ले, कथिलेत जन आपन भोजन पाबैके योग्य हैछै। #१ कोरन्थी ९:१४, १ तिमोथी ५:१८
11 “जे गाम आ सहरमे तुसब जेब्ही, उ गाम-सहरमे मान-दान करैबला लोकके खोज आ ओइ सहरसे नै निकलैतक ओकरे घरमे रहिहे। 12जब ओइ घरमे ढुकबिही, तब ‘ओइ घरमे सान्ती हेबे’ कहिहे। 13यदी उ घरके लोकसब सान्ती पाबैके योग्यके छै त, तोरासबके सान्ती ओइ घरमे रहे महज यदी योग्यके नै छै त तोरासबके देल सान्ती तोरेसबसङे घुइमके एतौ। 14यदी कोइ तोरासबके मान-दान नै करतौ या तोरासबके बचन सुनैले इन्कार करतौ त, ओइ गाम आ सहरसे निक्लै बखत आपन टाङके गरदा झाइर दैहे।#१०:१४टाङके गरदा झाइर दैहे- ओइ समयमे जब यहुदीसब गैर-यहुदीके देसमे यातरा करैछेलै, तब उसब एकदम होसियारीसाथ आपन टाङके आ कपरासबमेके गरदा झारैछेलै, कथिलेकी उसब गैर-यहुदीके आ ओकर देसके “असुध” ठानैछेलै। यहुदीसब जे ओकर सुसमाचार नै सुनैछै येसु आपन चेलासबके ओहिने करैले कहल्कै। अते यि देखाइले चाहल्कै कि यदी जे कोइ पस्तावा नै करतै, परमेस्वर ओकरोसबके “असुध” करतै आ उसब दन्डके भगिदार हेतै।#परेरित १३:५१ 15साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, नियाइके दिनमे ओइ सहरके दसासे बरु सदोम आ गमोराके दुख सहे जोकरके हेतै।#मती ११:२४, उतपती १९:२४-२८
आबैबला सताबट
(मरकुस १३:९-१३, लुका २१:१२-१७)
16 “देख, हम तोरासबके भेंरा जखा नरहियासबके बिचमे पठाइचियौ, तै खातिर तुसब साँप जखा चलाक आ पौरकी जखा सिधा-साधा रह। #
लुका १०:३ 17महज लोकसबसे होसियार रह, कथिलेत उसब तोरासबके अदालतसबमे सोइप देतौ आ सभाघरसबमे लज्याके तोरासबके कोरासे पिटतौ।#मरकुस १३:९-११, लुका १२:११-१२, २१:१२-१५ 18हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही। 19महज जब तोरासबके पकरतौ, तब कनङके आ कथी बोल्बै तैके चिन्ता नै कर। कथिलेत तोरासबके कथी बोले परतौ से ओहै बखत तोरासबके देल जेतौ, 20आ ओइ बखत बोलैबला तुसब नै महज परमेस्वर पिताके आत्मा तोरासबके दुवारा बोल्तौ।
21 “एक भाइ दोसर भाइके, बाबु आपन धियापुताके आ धियापुता आपन माँ-बाबुके बिरोधमे उठतौ आ एक-दोसरके मारे लगाइतौ। #मरकुस १३:१२, लुका २१:१६ 22हमर खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही। महज जे अन्तिम दिनतक स्थिर रहतै, उ उदार पाबतै।#मती २४:९, मरकुस १३:१३, लुका २१:१७, मती २४:१३ 23जब लोकसब तोरासबके एक गाममे सताइतौ तब दोसर गाममे भाइगके जो। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मानबके बेटा आबैसे पहिने तुसब इजराएलके सब गाम कोनोभी हालतमे आपन काज पुरा नै करने रहबिही।
24 “चेला आपन गुरुसे बरका नै हैछै आ नै त नोकर आपन मालिकसे। #
लुका ६:४०, युहन्ना १३:१६, १५:२० 25तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल#१०:२५ बालजिबुल- बालजिबुलके दोसर नाम सैतान चियै। कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!#मती ९:३४, १२:२४, मरकुस ३:२२, लुका ११:१५
ककरसे डराबे परतौ
(लुका १२:२-७)
26 “तै खातिर उसबसे नै डरा, कथिलेत झापल एहेन कोनो बात नै छै जे उघारल नै जेतै आ घोसरल कोनो बात नै छै जे थाह नै हेतै। #
मरकुस ४:२२, लुका ८:१७ 27जे बात हम तोरासबके अन्हारमे कहैचियौ, से बात तुसब इजोतमे सबके कैहदहै आ जे बात हम तोरासबके कानमे कहनेचियौ से बात घरके छतसे परचार कर। 28ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातरे मारैछै, महज आत्माके नै मारे सकैछै। बरु ओकरेसङे डेरा जे आत्मा आ देह दुनुके नास कैरके नरकमे फेकैके सक्ती छै। 29कि एक टकामे दुइटा बगरा नै बिकाइछै? तैयो एकोटा बगरा परमेस्वर पिताके इक्छा बेगर भुइयामे नै खसैछै। 30तहिनङे तोरासबके मुरके सबकेसो तक गनल गेलछौ। 31तै खातिर नै डरा, कथिलेत तुसब बहुत बगरासबसे औरो बेसी मुल्यबान चिही।
32 “जे हमरा लोकसबके सामने परभु कैहके सुइकार करतै, तकरा हम्हु स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने सुइकार करबै। 33महज जे हमरा लोकसबके सामने इन्कार करतै, हम्हु ओकरा स्वरगमे रहैबला आपन पिताके सामने इन्कार करबै। #२ तिमोथी २:१२
जे आपन जिबन गुमाइतै, उ बचाइतै
(लुका १२:५१-५३, १४:२६-२७)
34 “हम पिरथिबीमे सान्ती दैले एलचियौ से कैहके तुसब नै सोच। हम सान्ती दैले नै महज तलबार चलाइले एलचियौ। 35कथिलेत हम बाप बेटाके बिरोध, महताइर बेटीके बिरोध आ सौसके पुतौहसे बिरोध कराइले एलचियौ,#मिका ७:६ 36आ लोकके दुस्मन ओकर आपन घरेके लोकसब हेतै। 37जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन माँ-बाबुके परेम करतै, उ हमर चेला बने नै सक्तै। तहिनङे जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन धियापुताके परेम करतै सेहो हमर चेला बनैले नै सक्तै। 38आ जे कोइ आपन कुरूस बोइकके#१०:३८ कुरूस बोइकके- कुरूस बोकैके अरथ यि चियै कि चाहे जे कुछ भि हेबे, दुख भोगेके आ येसुके लेल चाहे कोनो कारन हेबे आपन परान तक दैले तैयार होनाइ चियै। हमर पछा नै लाग्तै सेहो हमर योग्य नै हेतै।#मती १६:२४, मरकुस ८:३४, लुका ९:२३ 39जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइतै, उ बचाइतै।#मती १६:२५, मरकुस ८:३५, लुका ९:२४, १७:३३, युहन्ना १२:२५
चेलासबके पाबैबला इनाम
(मरकुस ९:४१, लुका १०:१६)
40 “जे तोरासबके सुइकार करतौ उ हमरा सुइकार करतै आ जे हमरा सुइकार करतै उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। #
लुका १०:१६, युहन्ना १३:२०, मरकुस ९:३७, लुका ९:४८ 41जे अगमबक्ताके अगमबक्ते कैहके सुइकार करतै, से अगमबक्तेके इनाम पाबतै। तहिनङे जे धरमी लोकके धरमीए कैहके स्वागत करतै, उ धरमीएके इनाम पाबतै। 42जे हमर छोटसे छोट चेलासबमेसे ककरो हमर चेला कैहके एक लोटा जुर पानी पियैले देतै त, हम साँचेके कहैचियै उ आपन इनाम नै गुमाइतै।”
Currently Selected:
मती 10: MTH
Highlight
Share
Copy
Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.