लुका 7:21-22
लुका 7:21-22 MTH
तहै बखत येसु बहुत लोकसबके बहुत परकारके रोगबिमार आ भुतसब निकालल्कै आ बहौतरा अन्हरासबके दिरिस्टी देल्कै। तब येसु युहन्नाके चेलासबके कहल्कै, “जो, तुसब जे जे देखलिही आ सुनलिही, ज्याके युहन्नाके कैह दैहिए- अन्हरासब देखैछै, नेङरासब लरैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब निक हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जि जाइछै, दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।