YouVersion Logo
Search Icon

मरकुस 2

2
लकवा मारल आदमी स्‍वस्‍थ कयल गेल
(मत्ती 9:1-8; लूका 5:17-26)
1किछु दिनक बाद यीशु कफरनहूम नगर घूमि अयलाह। लोक सभ केँ पता लगलैक जे ओ घर मे छथि। 2ई सुनि ततेक लोक जमा भऽ गेल जे घरक दुआरियो लग कनेको जगह नहि बाँचल। यीशु ओकरा सभ केँ परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनबैत रहथिन। 3ओही समय मे एकटा लकवा मारल आदमी केँ चारि गोटे सँ खाट पर लदने किछु गोटे आयल। 4भीड़क कारणेँ ओ सभ यीशु लग नहि पहुँचि सकल। तेँ चार पर चढ़ि चार उजाड़ि कऽ, जाहि ठाम नीचाँ मे यीशु छलाह ताहि ठाम सँ खाट सहित लकवाक रोगी केँ हुनका लग उतारि देलकनि। 5ओकरा सभक विश्‍वास देखि कऽ यीशु लकवाक रोगी केँ कहलथिन, “हौ बेटा, तोहर पाप माफ भेलह।”
6किछु धर्मशिक्षक जे ओहिठाम बैसल छलाह मोने-मोन विचार करऽ लगलाह जे, 7“अरे! ई आदमी कोना एना परमेश्‍वरक निन्‍दा करैत अछि? परमेश्‍वर केँ छोड़ि आरो के पाप केँ माफ कऽ सकैत अछि?” 8यीशु तुरत अपना आत्‍मा मे हुनका सभक मोनक बात बुझि गेलाह और हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ अपना-अपना मोन मे किएक एना तर्क-वितर्क करैत छी? 9आसान की अछि—लकवाक रोगी केँ ई कहब जे, ‘तोहर पाप माफ भेलह,’ वा ई कहब जे, ‘उठह! अपन खाट उठा कऽ चलह-फिरह’? 10मुदा जाहि सँ अहाँ सभ बुझि जाइ जे पृथ्‍वी पर पाप केँ माफ करबाक अधिकार मनुष्‍य-पुत्र केँ छनि, हम एकरा कहैत छी...” तखन ओ लकवाक रोगी केँ कहलथिन, 11“हम तोरा कहैत छिअह, उठह, अपन खाट उठाबह आ घर चल जाह!” 12ओ उठल और सभक सामने अपन खाट उठा कऽ विदा भऽ गेल। ई देखि सभ लोक अचम्‍भित भऽ गेल और परमेश्‍वरक जयजयकार करैत कहऽ लागल जे, “हम सभ तँ एहन घटना पहिने कहियो नहि देखने छलहुँ!”
लेवी यीशुक शिष्‍य
(मत्ती 9:9-13; लूका 5:27-32)
13तखन यीशु ओहिठाम सँ निकलि कऽ फेर झीलक कात गेलाह। बहुत लोक हुनका लग अबैत-जाइत रहलनि और ओ ओकरा सभ केँ उपदेश दैत रहलाह। 14ओहिठाम सँ विदा भेलाक बाद रस्‍ता मे अल्‍फेयासक बेटा लेवी केँ कर असूल करऽ वला स्‍थान मे बैसल देखलथिन। हुनका बजा कऽ कहलथिन, “हमरा पाछाँ आउ।” लेवी उठि कऽ हुनका संग विदा भऽ गेलाह।
15बाद मे यीशु लेवीक घर मे भोजन करऽ बैसलाह। हुनका आ हुनकर शिष्‍य सभक संग, कर असूल करऽ वला और “पापी” सभ सेहो बैसल छल। हुनका संग चलनिहार मे बहुतो एहनो लोक सभ छल। 16फरिसी पंथक किछु धर्मशिक्षक जखन देखलनि जे यीशु कर असूल करऽ वला आ “पापी” सभक संग भोजन करैत छथि, तखन ओ सभ हुनकर शिष्‍य सभ सँ पुछलनि जे, “ओ कर असूल करऽ वला और पापी सभक संग किएक खाइत-पिबैत छथि?”
17ई बात सुनि यीशु हुनका सभ केँ कहलथिन, “वैद्यक आवश्‍यकता स्‍वस्‍थ लोक केँ नहि होइत छैक, बल्‍कि बिमार सभ केँ! हम धार्मिक सभ केँ नहि, बल्‍कि पापी सभ केँ बजयबाक लेल आयल छी।”
उपासक प्रश्‍न
(मत्ती 9:14-17; लूका 5:33-39)
18ओहि समय मे यूहन्‍नाक शिष्‍य सभ और फरिसी सभ उपास करैत छलाह। किछु लोक यीशु लग आबि कऽ पुछलकनि जे, “देखू! यूहन्‍नाक शिष्‍य सभ और फरिसी सभक शिष्‍य उपास कऽ रहल छथि। अहाँक शिष्‍य सभ किएक नहि?” 19यीशु ओकरा सभ केँ उत्तर देलथिन जे, “जाबत तक वरियातीक संग वर अछि ताबत तक की वरियाती उपास करत? नहि! जाबत धरि वर संगे रहतैक ताबत धरि उपास नहि करत। 20मुदा ओ समय आओत जहिया वर ओकरा सभक बीच सँ हटा लेल जायत। ओ सभ ताही दिन उपास करत।
21“केओ पुरान कपड़ा मे नयाँ कपड़ाक चेफरी नहि लगबैत अछि। जँ लगाओत तँ नयाँ कपड़ा घोकचि कऽ पुरान कपड़ा केँ खिचत और ओ कपड़ा आरो फाटि जायत। 22केओ नव दारू पुरान चमड़ाक थैली मे नहि रखैत अछि। कारण, एना जँ करत तँ थैली फाटि जयतैक और दारू आ थैली दूनू नष्‍ट भऽ जयतैक। नहि! नव दारू नये थैली मे राखल जाइत अछि।”
यीशु—विश्राम-दिनक मालिक
(मत्ती 12:1-14; लूका 6:1-11)
23कोनो विश्राम-दिन कऽ यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ खेत दऽ कऽ जा रहल छलाह। हुनकर शिष्‍य सभ चलैत-चलैत अन्‍नक बालि तोड़ि लैत छलाह। 24ई देखि फरिसी सभ यीशु केँ कहलथिन, “देखू! जे काज विश्राम-दिन मे करब धर्म-नियमक अनुसार मना अछि, से ई सभ किएक करैत छथि?!”
25यीशु हुनका सभ केँ जबाब देलथिन जे, “की अहाँ सभ ई नहि पढ़ने छी जे दाऊद आ हुनकर संगी सभ जखन भुखायल छलाह और हुनका सभक संग मे खयबाक लेल किछु नहि छलनि तखन ओ की कयलनि? 26ओ अपना संगी सभक संग परमेश्‍वरक भवन मे गेलाह और परमेश्‍वर केँ चढ़ाओल रोटी खयलनि। ओहि समय मे अबियातर महापुरोहित छलाह। चढ़ाओल रोटी जे पुरोहित केँ मात्र खयबाक अधिकार छलनि से दाऊद अपनो खयलनि आ अपन संगिओ सभ केँ देलथिन।”
27तखन ओकरा सभ केँ इहो कहलथिन जे, “विश्राम-दिन मनुष्‍यक लेल बनाओल गेल छैक, मनुष्‍य विश्राम-दिनक लेल नहि। 28तेँ मनुष्‍य-पुत्र विश्रामो-दिनक मालिक छथि।”

Currently Selected:

मरकुस 2: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in