YouVersion Logo
Search Icon

मत्ती 27

27
राज्‍यपाल पिलातुसक जिम्‍मा मे यीशु
(मरकुस 15:1; लूका 23:1-2; यूहन्‍ना 18:28-32)
1प्रात भेने भोरे-भोर सभ मुख्‍यपुरोहित आ समाजक बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ आपस मे विचार-विमर्श कऽ एहि बातक निश्‍चय कयलनि जे यीशु केँ मारि देल जाय। 2ओ सभ यीशु केँ बान्‍हि कऽ लऽ गेलाह आ राज्‍यपाल पिलातुसक जिम्‍मा मे लगा देलथिन।
यहूदा इस्‍करियोतीक अफसोच
3यहूदा इस्‍करियोती जे यीशु केँ पकड़बौने छल, से जखन देखलक जे यीशु केँ मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा देल गेलनि, तखन ओ बहुत पछतायल। ओ मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित सभ लग चानीक तीस सिक्‍का लऽ कऽ गेल आ हुनका सभ केँ कहलकनि, 4“हम निर्दोष व्‍यक्‍ति केँ मृत्‍युदण्‍डक लेल पकड़बा कऽ पाप कयलहुँ अछि।”
ओ सभ उत्तर देलथिन, “ई बात तोँ जानह, एहि सँ हमरा सभ केँ कोनो मतलब नहि अछि।”
5एहि पर ओ चानीक सिक्‍का सभ मन्‍दिर मे फेकि कऽ चल गेल आ अपना केँ फँसरी लगा लेलक।
6मुख्‍यपुरोहित सभ ओ चानीक सिक्‍का उठा कऽ बजलाह, “एकरा मन्‍दिरक खजाना मे राखब उचित नहि होयत, किएक तँ ई खूनक मूल्‍य अछि।” 7ओ सभ आपस मे एहि बातक विचार-विमर्श कऽ परदेशी लोक सभक लास केँ गाड़बाक लेल ओहि पाइ सँ कुम्‍हारक एकटा खेत किनि लेलनि। 8एहि कारण सँ आइओ धरि ओ खेत “खूनक खेत” कहबैत अछि। 9एहि तरहेँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यर्मियाहक ई वचन पूर्ण भेल जे,
“ओ सभ तीस चानीक सिक्‍का लेलक; ई ओ मूल्‍य छल, जे इस्राएली लोक सभ हुनकर दाम लगौने छल।
10जेना प्रभु सँ हमरा आज्ञा भेटल छल, तेना ओहि पाइ सँ कुम्‍हारक खेत किनल गेल।”#27:10 जक 11:12, 13; यर्मि 32:6-9 केँ देखब।
राज्‍यपाल द्वारा जाँच आ फैसला—निर्दोष मुदा मृत्‍युदण्‍ड
(मरकुस 15:2-15; लूका 23:3-5, 13-25; यूहन्‍ना 18:33-40; 19:1-16)
11एम्‍हर यीशु राज्‍यपाल पिलातुसक सम्‍मुख ठाढ़ छलाह। राज्‍यपाल हुनका सँ पुछलथिन, “की अहाँ यहूदी सभक राजा छी?” यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “अहाँ अपने कहि रहल छी।” 12मुदा मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जे कोनो दोष यीशु पर लगौलथिन तकर ओ कोनो उत्तर नहि देलथिन। 13एहि पर पिलातुस कहलथिन, “की अहाँ नहि सुनि रहल छी जे ई सभ अहाँ पर कतेक आरोप लगा रहल छथि?” 14मुदा यीशु एको बातक कोनो उत्तर नहि देलथिन। ई बात देखि राज्‍यपाल केँ बहुत आश्‍चर्य लगलनि।
15प्रत्‍येक साल फसह-पाबनिक अवसर पर राज्‍यपाल जनताक इच्‍छाक अनुसार एक कैदी केँ छोड़ि दैत छलाह। 16ओहि समय मे बरब्‍बा नामक एक नामी अपराधी जहल मे बन्‍द छल। 17भीड़ केँ जमा भेला पर राज्‍यपाल पिलातुस ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ? बरब्‍बा केँ वा यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि?” 18पिलातुस ई बात जानि गेल छलाह जे धर्मगुरु सभ यीशु केँ ईर्ष्‍याक कारणेँ पकड़बौने छथि। 19पिलातुस न्‍यायासन पर बैसले छलाह कि हुनकर स्‍त्री कहा पठौलथिन जे, “ओहि निर्दोष मनुष्‍य केँ किछु नहि करिऔक! किएक तँ हम आइ राति सपना मे हुनका कारणेँ बहुत दुःख सहलहुँ अछि।”
20मुदा मुख्‍यपुरोहित सभ आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ जमा भेल लोक सभ केँ सिखा देने छलाह जे, “तोँ सभ बरब्‍बा केँ छोड़ि देबाक लेल आ यीशुक मृत्‍युदण्‍डक माँग करिहह।” 21राज्‍यपाल ओकरा सभ केँ पुछलथिन, “अहाँ सभ की चाहैत छी? एहि दूनू मे सँ अहाँ सभक लेल हम ककरा छोड़ि दिअ?” ओ सभ बाजल, “बरब्‍बा केँ।” 22पिलातुस कहलथिन, “तखन फेर एहि यीशु केँ, जे मसीह कहबैत अछि तकरा हम की करू?” सभ कहऽ लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!” 23ओ पुछलथिन, “किएक? ई कोन अपराध कयने अछि?” एहि पर लोकक भीड़ आरो जोर-जोर सँ चिचियाय लागल, “ओकरा क्रूस पर चढ़ाउ!”
24जखन पिलातुस देखलनि जे यीशु केँ बचयबाक हुनकर प्रयत्‍न सफल नहि भऽ रहल अछि, बल्‍कि एहि सँ उपद्रव बढ़ि रहल अछि, तखन ओ हाथ मे पानि लऽ कऽ लोक सभक सामने अपन हाथ धोइत कहलथिन, “एहि मनुष्‍यक खूनक दोषी हम नहि छी। अहीं सभ एहि बात केँ जानू!” 25भीड़क लोक हुनका उत्तर देलकनि, “एकर खूनक दोष हमरा सभ पर आ हमर सभक सन्‍तान सभ पर होअय!”
26तकरबाद पिलातुस ओकरा सभक इच्‍छाक अनुसार बरब्‍बा केँ छोड़ि देलथिन आ यीशु केँ कोड़ा सँ पिटबा कऽ क्रूस पर चढ़यबाक लेल सैनिक सभक जिम्‍मा लगा देलथिन।
सैनिक सभ द्वारा यीशुक अपमान
(मरकुस 15:16-20; यूहन्‍ना 19:2-3)
27राज्‍यपालक सैनिक सभ यीशु केँ राजभवन मे लऽ गेलनि आ अपन पूरा सैनिक-दल केँ हुनका चारू कात जमा कऽ लेलक। 28ओ सभ यीशु जे वस्‍त्र पहिरने छलाह तकरा निकलबा कऽ लाल रंगक राजसी वस्‍त्र पहिरा देलकनि। 29काँटक मुकुट बना हुनका मूड़ी पर रखलकनि आ हुनका दहिना हाथ मे एक छड़ी पकड़ा देलकनि। तकरबाद हुनका सामने ठेहुनिया दऽ कऽ हुनकर मजाक उड़बैत कहऽ लगलनि, “यहूदी सभक राजा, प्रणाम!” 30ओ सभ हुनका पर थूक फेकलकनि आ हुनका हाथ सँ छड़ी लऽ कऽ बेर-बेर मूड़ी पर मारलकनि। 31ओ सभ एहि तरहेँ यीशुक मजाक उड़ौलाक बाद हुनका देह पर सँ लाल रंग वला वस्‍त्र निकालि लेलकनि आ हुनकर अपन कपड़ा फेर पहिरा देलकनि। तकरबाद ओ सभ हुनका क्रूस पर लटकयबाक लेल लऽ गेलनि।
क्रूस
(मरकुस 15:21-32; लूका 23:26-43; यूहन्‍ना 19:17-27)
32शहर सँ बाहर लऽ जाइत काल सैनिक सभ केँ सिमोन नामक एक आदमी जे कुरेन नगरक रहऽ वला छल, से भेटलैक। ओकरा सैनिक सभ जबरदस्‍ती पकड़ि कऽ यीशुक क्रूस उठा कऽ लऽ चलबाक लेल कहलकैक।
33यीशु केँ लऽ कऽ ओ सभ गुलगुता, अर्थात् “खप्‍पड़ वला स्‍थान” पर पहुँचल। 34ओहिठाम ओ सभ यीशु केँ तीत दवाइ मिलाओल दारू पिबाक लेल देलकनि, मुदा ओ ओकरा चिखि कऽ नहि पिलनि। 35सैनिक सभ हुनका हाथ-पयर मे काँटी ठोकि कऽ क्रूस पर टाँगि देलकनि। हुनकर वस्‍त्र पर चिट्ठा खसा कऽ अपना मे बाँटि लेलक,#27:35 बादक किछु हस्‍तलेख मे एहि तरहेँ लिखल अछि, “बाँटि लेलक, जाहि सँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता द्वारा कहल ई बात पूरा होअय जे, ‘ओ सभ अपना मे हमर वस्‍त्र बाँटि लेलक, हमरा कपड़ाक लेल ओ सभ चिट्ठा खसौलक।’ ” (भजन 22:18) 36तखन ओतऽ बैसि कऽ पहरा देबऽ लागल। 37ओ सभ एक दोष-पत्र हुनका मूड़ीक उपर क्रूस पर टाँगि देलक जाहि पर लिखल छलैक जे, “ई यीशु अछि, यहूदी सभक राजा”। 38यीशुक संगे दूटा डाकू सेहो क्रूस पर चढ़ाओल गेल, एकटा हुनकर दहिना कात और दोसर बामा कात।
39ओहि बाटे आबऽ-जाय वला लोक सभ मूड़ी डोला-डोला कऽ हुनकर निन्‍दा कऽ रहल छल। 40ओ सभ कहैत छल, “रे मन्‍दिर केँ तोड़ऽ वला और तीन दिन मे ओकरा बनाबऽ वला! तोँ जँ परमेश्‍वरक पुत्र छेँ तँ अपना केँ बचा आ एहि क्रूस पर सँ उतरि आ।”
41तहिना मुख्‍यपुरोहित लोकनि, धर्मशिक्षक सभ आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ सेहो हुनकर मजाक उड़बैत कहलनि, 42“ई आन लोक सभ केँ बचबैत रहल मुदा अपना केँ नहि बचा सकैत अछि। ई जँ इस्राएलक राजा अछि तँ एखन क्रूस पर सँ उतरि आबओ, तखन हमहूँ सभ एकरा पर विश्‍वास करबैक। 43ई आदमी परमेश्‍वर पर भरोसा रखैत छल। जँ एकरा सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न छथिन तँ एखन बचबथुन। ई तँ अपना केँ परमेश्‍वरक पुत्र कहैत छल।”
44एहि तरहेँ ओ डाकू सभ सेहो, जकरा यीशुक संग क्रूस पर चढ़ाओल गेल छलैक, यीशुक निन्‍दा कऽ रहल छल।
यीशुक मृत्‍यु
(मरकुस 15:33-41; लूका 23:44-49; यूहन्‍ना 19:28-30)
45ओहि दिन बारह बजे सँ तीन बजे तक सम्‍पूर्ण देश अन्‍हार-कुप्‍प भऽ गेल। 46करीब तीन बजे मे यीशु बहुत जोर सँ बजलाह जे, “एली, एली, लामा सबक्‍तनी”, जकर अर्थ ई अछि, “हे हमर परमेश्‍वर, हे हमर परमेश्‍वर, हमरा अहाँ किएक छोड़ि देलहुँ?”#27:46 भजन 22:1 47ई सुनि ओतऽ ठाढ़ लोक सभ मे सँ किछु लोक बाजल, “ई आदमी एलियाह केँ बजा रहल अछि।” 48ओकरा सभ मे सँ एक गोटे तुरत दौड़ि कऽ गेल आ रूइ जकाँ एकटा एहन चीज जे पानि सोखैत अछि से लऽ कऽ तिताह दारू मे डुबा लेलक, तखन ओकरा लाठीक हूर पर अटका कऽ हुनका पिबाक लेल देलकनि। 49मुदा दोसर लोक सभ ओकरा कहलकैक, “थम्‍हह, पहिने देखी जे एलियाह एकरा बचयबाक लेल अबैत छथि कि नहि।”
50तकरबाद यीशु फेर जोर सँ आवाज दऽ कऽ अपन प्राण त्‍यागि देलनि। 51ओही क्षण मन्‍दिर मे जे परदा छलैक से ऊपर सँ नीचाँ तक चिरा कऽ दू भाग मे फाटि गेल। पृथ्‍वी डोलऽ लागल। चट्टान सभ फाटि गेल। 52कबरक मुँह खुजि गेल आ परमेश्‍वरक बहुतो भक्‍त सभक लास फेर जिआओल गेल। 53ओ सभ कबर सँ बहरा कऽ यीशु केँ जीबि उठलाक बाद “पवित्र नगर”#27:53 अर्थात्‌, यरूशलेम मे जा कऽ बहुतो लोक सभ केँ देखाइ देलनि।
54रोमी कप्‍तान आ हुनका संग यीशु पर पहरा देबऽ वला सैनिक सभ, भूकम्‍‍प आ एहि घटना सभ केँ देखि बहुत डेरा गेल, और बाजि उठल, “सत्‍ये ई परमेश्‍वरक पुत्र छलाह!”
55बहुतो स्‍त्रीगण सभ सेहो ओतऽ छलीह, जे सभ दूरे सँ ई बात सभ देखि रहल छलीह। ओ सभ गलील प्रदेश सँ यीशुक संग हुनकर सेवा-टहल करैत आयल छलीह। 56हुनका सभ मे मरियम मग्‍दलीनी, याकूब आ यूसुफक माय मरियम, और जबदीक स्‍त्री, अर्थात् याकूब आ यूहन्‍नाक माय, छलीह।
कबर मे यीशुक लास
(मरकुस 15:42-47; लूका 23:50-56; यूहन्‍ना 19:38-42)
57साँझ पड़ला पर अरिमतिया नगरक निवासी यूसुफ नामक एक धनिक व्‍यक्‍ति ओतऽ अयलाह। ओहो यीशुक शिष्‍य बनि गेल छलाह। 58ओ राज्‍यपाल पिलातुसक ओतऽ जा कऽ यीशुक लास मँगलथिन। पिलातुस आदेश देलनि जे लास यूसुफ केँ दऽ देल जानि। 59यूसुफ हुनकर लास लऽ गेलाह आ साफ मलमलक कपड़ा मे ओकरा लपेटि कऽ 60अपन नव कबर मे रखलनि जे ओ एक चट्टान मे कटबा कऽ बनबौने छलाह। लास केँ रखलाक बाद ओ कबरक मुँह पर एक भारी पाथर गुड़का कऽ लगा देलनि आ चल गेलाह। 61मरियम मग्‍दलीनी आ दोसर मरियम कबरक सामने बैसल छलीह।
कबर पर कड़ा पहरा
62एहि घटनाक प्रात भेने, अर्थात् विश्राम-दिन मे#27:62 “विश्राम-दिन”—अक्षरशः “तैयारीक दिनक बाद [वला दिन]” , मुख्‍यपुरोहित लोकनि आ फरिसी सभ एक संग पिलातुसक ओतऽ जा कऽ हुनका कहलथिन, 63“यौ सरकार! हमरा सभ केँ स्‍मरण अछि जे ओ ठग आदमी, जखन ओ जीबैत छल तखन कहने छल जे, ‘हम तीन दिनक बाद फेर जीबि उठब’। 64तेँ अपने आज्ञा देल जाओ जे तीन दिन धरि ओहि कबर पर पहरा राखल जाय। नहि तँ कतौ एना नहि होअय जे ओकर चेला सभ ओकर लास चोरा कऽ लऽ जाय आ लोक सभ केँ कहऽ लागय जे, ओ मुइल सभ मे सँ जीबि उठलाह। तखन एहि बेरक ई धोखा वला बात पहिलुको धोखा सँ खराब होयत।”
65पिलातुस हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ सैनिक सभ लऽ जाउ आ जेहन सुरक्षा अहाँ सभ कबरक करऽ चाहैत होइ तेहन करू।”
66तखन ओ सभ गेलाह आ कबरक मुँह पर बन्‍दक छाप लगा देलनि। सैनिक सभ केँ कबरक सुरक्षा करबाक लेल पहरा पर राखि देलथिन।

Currently Selected:

मत्ती 27: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in