YouVersion Logo
Search Icon

मत्ती 13

13
बीया बाउग करऽ वला किसानक दृष्‍टान्‍त
(मरकुस 4:1-9; लूका 8:4-8)
1ओही दिन यीशु घर सँ बहरा कऽ झीलक कछेर पर जा कऽ बैसलाह। 2हुनका लग लोकक एतेक विशाल भीड़ आबि कऽ जमा भऽ गेल जे ओ नाव पर चढ़ि कऽ बैसलाह आ लोकक भीड़ झीलक कछेर पर ठाढ़ रहल। 3यीशु विभिन्‍न तरहक दृष्‍टान्‍त सभक द्वारा लोक सभ केँ बहुतो बात सभ कहलथिन।
ओ कहलथिन, “एक किसान बीया बाउग करबाक लेल गेल। 4बीया बाउग करैत काल किछु बीया रस्‍ताक कात मे खसल आ चिड़ै सभ आबि ओकरा खा लेलकैक। 5किछु बीया पथराह जमीन पर खसल जतऽ बेसी माटि नहि होयबाक कारणेँ ओ जल्‍दी जनमि गेल। 6मुदा रौद लगिते ओ झरकि गेल आ जड़ि नहि पकड़ि सकबाक कारणेँ सुखा गेल। 7फेर दोसर बीया काँट-कुशक बीच मे खसल मुदा काँट-कुश बढ़ि कऽ ओकरा दबा देलकैक। 8किछु बीया नीक जमीन पर पड़ल आ फड़ल-फुलायल, कोनो सय गुना फसिल देलक, कोनो साठि गुना आ कोनो तीस गुना। 9जकरा कान होइक, से सुनओ।”
दृष्‍टान्‍त देबाक कारण
(मरकुस 4:10-12; लूका 8:9-10)
10यीशुक शिष्‍य सभ हुनका लग आबि कऽ पुछलथिन, “अहाँ लोक सभ सँ दृष्‍टान्‍त सभ मे किएक बात करैत छी?” 11यीशु उत्तर देलथिन, “स्‍वर्गक राज्‍य जे अछि तकर रहस्‍यक ज्ञान तँ अहाँ सभ केँ देल गेल अछि, मुदा एकरा सभ केँ नहि देल गेल छैक। 12तेँ जकरा छैक तकरा आओर देल जयतैक आ ओकरा लग बहुते भऽ जयतैक। मुदा जकरा नहि छैक तकरा सँ जेहो छैक सेहो लऽ लेल जयतैक। 13हम एकरा सभ सँ दृष्‍टान्‍त सभ मे एहि लेल बात करैत छी जे,
‘ई सभ तकितो देखैत नहि अछि;
आ सुनितो ने सुनैत अछि आ ने बुझैत अछि।’
14एकरा सभ मे यशायाहक ई भविष्‍यवाणी पूरा होइत अछि जे,
‘तोँ सभ सुनैत तँ रहबह मुदा बुझबह नहि,
तोँ सभ देखैत तँ रहबह मुदा देखाइ देतह नहि।’
15‘कारण, एहि लोक सभक मोन मे ठेला पड़ि गेल छैक,
ई सभ कान सँ उच्‍च सुनैत अछि,
ई सभ अपन आँखि मुनि लेने अछि,
जाहि सँ कतौ एना नहि होअय जे
आँखि सँ देखय,
कान सँ सुनय,
मोन सँ बुझय,
आ घूमि कऽ हमरा लग आबय,
आ हम ओकरा सभ केँ स्‍वस्‍थ कऽ दिऐक।’#13:15 यशा 6:9, 10
16“मुदा धन्‍य छी अहाँ सभ जे आँखि सँ देखैत छी आ कान सँ सुनैत छी। 17हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, अपना समय मे परमेश्‍वरक एहन बहुतो प्रवक्‍ता आ धार्मिक लोक सभ रहथि जे सभ चाहलनि जे, जाहि बात सभ केँ अहाँ सभ देखि रहल छी, तकरा देखी, मुदा नहि देखलनि; और जाहि बात सभ केँ अहाँ सभ सुनि रहल छी, से सुनी, मुदा नहि सुनलनि।
दृष्‍टान्‍तक अर्थ
(मरकुस 4:13-20; लूका 8:11-15)
18“आब अहाँ सभ बाउग कयनिहार वला दृष्‍टान्‍तक अर्थ सुनू। 19जखन केओ परमेश्‍वरक राज्‍यक शुभ समाचार सुनैत अछि मुदा बुझैत नहि अछि, तखन शैतान आबि कऽ जे किछु ओकरा हृदय मे बाउग कयल गेल रहैत अछि से ओकरा सँ छिनि कऽ लऽ लैत अछि। ई वैह बीया भेल जे रस्‍ताक कात मे बाउग कयल गेल छल। 20पथराह जमीन पर बाउग कयल बीया ओ व्‍यक्‍ति भेल जे परमेश्‍वरक शुभ समाचार सुनि कऽ तुरत आनन्‍दपूर्बक ओकरा ग्रहण कऽ लैत अछि, 21मुदा ओ वचन ओकरा मे जड़ि नहि पकड़ैत छैक आ ओ कनेके काल स्‍थिर रहैत अछि। जखन शुभ समाचारक कारणेँ ओकरा कष्‍ट सहऽ पड़ैत छैक वा ओकरा संग अत्‍याचार होमऽ लगैत छैक तँ ओ तुरत विश्‍वास केँ छोड़ि दैत अछि। 22काँट-कुशक बीच खसल बीया ओ मनुष्‍य भेल जे शुभ समाचार केँ सुनैत अछि मुदा सांसारिक चिन्‍ता आ धन-सम्‍पत्तिक मोह-माया ओहि शुभ समाचार केँ दबा दैत छैक और ओ वचन ओकरा जीवन मे कोनो फल नहि दैत अछि। 23नीक जमीन मे बाउग कयल बीया ओ सभ अछि जे सभ शुभ समाचार सुनैत अछि और बुझैत अछि। ओ फड़ि-फुला कऽ फसिल दैत अछि, केओ सय गुना, केओ साठि गुना आ केओ तीस गुना।”
जंगली बीयाक दृष्‍टान्‍त
24यीशु लोक सभक समक्ष दोसर दृष्‍टान्‍त रखलनि जे, “स्‍वर्गक राज्‍यक तुलना ओहि मनुष्‍य सँ कयल जा सकैत अछि जे अपना खेत मे नीक बीया बाउग कयलनि। 25मुदा जखन सभ केओ सुति रहल छल तखन हुनकर दुश्‍मन अयलनि आ ओहि बाउग कयल गहुमक खेत मे जंगली बीया बाउग कऽ चल गेल। 26जखन बाउग कयल गहुमक बीया जनमल आ ओहि मे बालि निकलल तखन जंगलिआ घास सेहो देखाइ देलक। 27ई देखि नोकर सभ मालिक केँ कहलकनि, ‘मालिक, की अपने अपना खेत मे बढ़ियाँ बीया बाउग नहि कयने छलहुँ? तँ एहि मे जंगलिआ घास कतऽ सँ आबि गेल?’ 28मालिक कहलथिन, ‘ई कोनो दुश्‍मनक काज अछि!’ नोकर सभ कहलकनि, ‘तँ की, ओकरा उखाड़ि दिऐक?’ 29ओ कहलथिन, ‘नहि। कतौ एना नहि भऽ जाओ जे जंगलिआ घास उखाड़ैत काल तोँ सभ गहुमोक गाछ सभ केँ उखाड़ि दहक। 30गहुम कटयबाक समय तक दूनू केँ संग-संग बढ़ऽ दहक। कटनी करयबाक समय मे हम कटनिहार सभ केँ कहबैक जे, पहिने जंगलिआ घासक गाछ सभ केँ जमा कऽ कऽ जरयबाक लेल बोझ बान्‍हि लैह, तखन गहुम केँ हमरा बखारी मे जमा करह।’ ”
सरिसोक दानाक दृष्‍टान्‍त
(मरकुस 4:30-32; लूका 13:18-19)
31यीशु लोक सभ केँ एक आओर दृष्‍टान्‍त दैत कहलथिन, “स्‍वर्गक राज्‍य सरिसोक दाना जकाँ अछि, जकरा केओ लेलक आ अपना खेत मे बाउग कऽ देलक। 32दाना सभ मे सरिसोक दाना सभ सँ छोट होइत अछि मुदा जनमि कऽ बढ़लाक बाद सभ साग-पात सँ पैघ भऽ तेहन गाछ भऽ जाइत अछि जे आकाशक चिड़ै सभ आबि कऽ ओकरा ठाढ़ि-पात मे अपन खोंता बना लैत अछि।”
रोटी फुलाबऽ वला खमीरक दृष्‍टान्‍त
(लूका 13:20-21)
33यीशु एकटा आओर दृष्‍टान्‍त ओकरा सभ केँ देलथिन—“स्‍वर्गक राज्‍य रोटी फुलाबऽ वला खमीर जकाँ अछि, जकरा एक स्‍त्री तीन पसेरी आँटा मे मिला कऽ सनलक; बाद मे खमीरक शक्‍ति सँ पूरा आँटा फुलि गेलैक।”
34यीशु अपना लग जमा भेल लोकक भीड़ केँ ई सभ बात दृष्‍टान्‍त दऽ-दऽ कऽ कहलथिन। बिनु दृष्‍टान्‍त देने ओ ओकरा सभ केँ किछु नहि कहलथिन। 35ओ एहि लेल एना बात कयलनि जे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता द्वारा कहल वचन पूरा होअय—
“हम दृष्‍टान्‍त सभ दऽ-दऽ कऽ बाजब,
सृष्‍टिक आरम्‍भ सँ जे बात सभ झाँपल छल से हम कहब।”#13:35 भजन 78:2
जंगली बीयाक दृष्‍टान्‍तक अर्थ
36तकरबाद यीशु लोकक भीड़ केँ छोड़ि कऽ घर मे चल अयलाह। शिष्‍य सभ हुनका लग आबि कऽ कहलथिन, “खेत मे बाउग कयल जंगलिआ बीयाक दृष्‍टान्‍त वला बात केँ हमरा सभ केँ बुझा दिअ।” 37ओ हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “नीक बीया बाउग कयनिहार छथि मनुष्‍य-पुत्र। 38खेत अछि संसार, आ नीक बीया अछि परमेश्‍वरक राज्‍यक सन्‍तान सभ। जंगलिआ बीया अछि दुष्‍ट शैतानक सन्‍तान सभ। 39जंगलिआ बीया बाउग करऽ वला दुश्‍मन अछि शैतान। कटनीक समय अछि संसारक अन्‍त आ कटनी कयनिहार सभ छथि स्‍वर्गदूत सभ।
40“जाहि तरहेँ जंगलिआ घास केँ जमा कऽ कऽ आगि मे जराओल जाइत अछि तहिना संसारक अन्‍त मे सेहो कयल जायत। 41मनुष्‍य-पुत्र अपना स्‍वर्गदूत सभ केँ पठौताह आ ओ सभ हुनका राज्‍य मे सँ सभ प्रकारक पाप मे फँसाबऽ वला बात सभ केँ उखाड़ि कऽ आ कुकर्मी सभ केँ जमा कऽ कऽ 42आगिक भट्ठी मे फेकि देताह, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत। 43तखन धर्मी सभ अपना पिताक राज्‍य मे सूर्य जकाँ चमकताह। जकरा कान होइक, से सुनओ।
गाड़ल धन आ बहुमूल्‍य मोतीक दृष्‍टान्‍त
44“स्‍वर्गक राज्‍य खेत मे गाड़ल धन जकाँ अछि, जकरा कोनो मनुष्‍य पौलक आ फेर माटि सँ झाँपि देलक। ओ एतेक खुश भेल जे ओ अपन सभ धन-सम्‍पत्ति बेचि कऽ ओहि खेत केँ किनि लेलक।
45“फेर, स्‍वर्गक राज्‍य ओहि व्‍यापारी सन अछि जे नीक मोतीक खोज मे छल। 46जखन ओकरा एक बहुत बहुमूल्‍य मोती भेटलैक तँ जा कऽ अपन सभ किछु बेचि देलक आ ओहि मोती केँ किनि लेलक।
महाजालक दृष्‍टान्‍त
47“फेर दोसर दृष्‍टिएँ स्‍वर्गक राज्‍य ओहि महाजाल सन अछि जे समुद्र मे खसाओल गेल आ सभ प्रकारक माछ ओहि मे घेरायल। 48जखन जाल भरि गेल तँ लोक सभ ओकरा कछेर पर अनलक आ बैसि कऽ नीक माछ सभ केँ डाली मे जमा कयलक मुदा खराब माछ सभ केँ फेकि देलक। 49एहि संसारक अन्‍त मे सेहो एहिना होयतैक। स्‍वर्गदूत सभ आबि कऽ दुष्‍ट सभ केँ धर्मी सभ सँ अलग करताह 50आ आगिक भट्ठी मे फेकि देताह, जतऽ लोक कानत आ दाँत कटकटाओत।”
51तखन यीशु शिष्‍य सभ सँ पुछलथिन, “की अहाँ सभ ई बात सभ बुझलहुँ?” ओ सभ उत्तर देलथिन, “हँ।” 52ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “तेँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति जे धर्मशास्‍त्र केँ बुझैत अछि आ जे स्‍वर्गक राज्‍यक शिष्‍य बनल अछि, से ओहि गृहस्‍थ जकाँ अछि जे अपन भण्‍डार घर मे सँ नव आ पुरान दूनू तरहक किमती वस्‍तु सभ निकालि सकैत अछि।”
अपना गाम मे यीशुक निरादर
(मरकुस 6:1-6; लूका 4:16-30)
53यीशु ई दृष्‍टान्‍त सभ देलाक बाद ओतऽ सँ चल गेलाह। 54ओ अपना गाम मे आबि कऽ सभाघर मे लोक सभ केँ उपदेश देबऽ लगलाह। लोक सभ हुनकर उपदेशक बात सभ सुनि आश्‍चर्यित भऽ गेल आ बाजल जे, “एकरा एहि तरहक बुद्धि आ चमत्‍कार करबाक सामर्थ्‍य कतऽ सँ भेटलैक? 55की ई लकड़ी मिस्‍तिरीक बेटा नहि अछि? की एकर मायक नाम मरियम नहि छैक? आ एकर भाय सभ याकूब, यूसुफ, सिमोन, आ यहूदा नहि अछि? 56की एकर बहिन सभ अपना सभक बीच नहि रहैत अछि? तखन एकरा ई बात सभ भेटलैक कतऽ सँ?” 57एहि तरहेँ लोक यीशु सँ डाह करऽ लागल। तखन यीशु ओकरा सभ केँ कहलथिन, “मात्र अपने गाम आ अपने घर मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ताक अनादर होइत छैक।” 58और ओकरा सभक अविश्‍वासक कारणेँ यीशु ओतऽ बहुत कम चमत्‍कार वला काज सभ कयलनि।

Currently Selected:

मत्ती 13: mai

Highlight

Share

Copy

None

Want to have your highlights saved across all your devices? Sign up or sign in