YouVersion Logo
Search Icon

लूका 4:5-8

लूका 4:5-8 MAI

तखन शैतान हुनका ऊँच स्‍थान मे लऽ जा कऽ एके क्षण मे संसारक सभ राज्‍य देखा देलकनि आ कहलकनि, “हम तोरा एहि सभ राज्‍यक अधिकार आ वैभव दऽ देबह, कारण ई सभ हमरे जिम्‍मा मे दऽ देल गेल अछि, आ हम जकरा ककरो चाहबैक तकरा दऽ सकैत छिऐक। तेँ तोँ जँ हमर उपासना करबह तँ ई सभ तोहर भऽ गेलह।” यीशु उत्तर देलथिन, “धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि, ‘तोँ अपना प्रभु-परमेश्‍वरेक उपासना करहुन और मात्र हुनके सेवा करहुन।’”