तैहनङे हम आपनेसे अहाँ लग आबैके हैसियतके नै चियै। महज अहाँ आग्या करैचियै त हमर नोकर निक भ्याजेतै। कथिलेत हम्हु बरका हाकिमके निचामे बैठल लोक चियै। हमरो निचामे सिपाहीसब छै। हम एकटा सिपाहीके, ‘जो’ कहैचियै त, उ जाइछै आ दोसरके, ‘या’ कहैचियै त, उ आबैछै। तैहनङे नोकरके हम, ‘यि कर’ कहैचियै त, उ ओहिनङ करैछै।”
यि बातसब सुइनके येसु आस्चरजमे परलै आ घुइमके आपन पछा लागल भिरके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, एहेन बिस्बास करैबला लोक त पुरे इजराएलमे नै देखलियै!”