तब येसु उ रोटी ल्याके परमेस्वरके धन्यबाद देल्कै आ बैठलहा लोकसबके खाइके लेल चेलासबके परसैले लगाइल्कै, तहिनङे माछोके परसैले लगाइल्कै। उ सबलोक अघा-अघाके खेल्कै। उसब अघा-अघाके खेलाके बाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “उगरल खुन्डा-खुन्डीसब बिछके राख, ताकि एकोटा जियान नै हेबे।”