हमसब परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करलियै आ परमेस्वरसे पबितर आत्मा पाबलियै। तैहनङे ओहोसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ ओकरसे पबितर आत्मा पाबल्कै। अहिनङे परमेस्वर आपनेसे पबितर आत्मा दैछै त ओकरा रोके सकैबला हम के चियै?”
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”